भौतिकशास्त्रमे कार्य वा काम होवल तखनि मानल जाहे जखनि कौनो वस्तु पर कौनो बल लगावेसे ऊ वस्तु बलके दिशामे कुछ विस्थापित होवे । दोसरा शब्दमे कौनो बल लगावेसे बलके दिशामे वस्तुके विस्थापन होवे त कहल जाहे कि बल कार्य कैलक । कार्य भौतिकशास्त्रके सबसे महत्वपूर्ण राशिमे से एक हे । कार्य करेके दरके शक्ति कहल जाहे । कार्य करे वा करावेसे वस्तुके ऊर्जामे परिवर्तन होवहे ।
कौनो वस्तु पर F बल लगावे पर ऊ वस्तु बलके दिशामे d दूरी विस्थापित हो जाये त कैल गेल कार्य
- वा
- W=fs
- जन्ने f = बल
- S= विस्थापन हे
होतै ।
उदाहरण:
१० न्यूटन् (F = १० N) के बल कौनो वस्तु पर दक्षिण दिशामे लगहे आउ ऊ वस्तु दक्षिण दिशामे २ मीटर (d = २ m) विस्थापित हो जाहे त बल द्वारा कैल गेल कार्य W = (१० N)(२ m) = २० N m = २० J भेल । कौनो वस्तु पर ५ न्यूटनके बल लगाके ओकरा ४ मीटर विस्थापित करेहुँ पर बीसे J कार्य होतै (५ N x ४ m = २० J) ।
कार्यके मात्रक 'जूल्' हे । एकरा सङ्क्षेपमे J से निरूपित कैल जाहे । १ जूल = १ न्यूटन-मीटर । कार्य एगो अदिश राशि हे ।
यदि कौनो वस्तु पर एगो नियत बल लगावल जाये आउ ऊ सीधा रेखामे (बलके दिशामे वा बलके दिशासे अलग दिशामे) गति करे त कैल गेल कार्य निम्नलिखित सूत्रसे निकाला जा सकहे -
जन्ने:
- – बल
- – विस्थापन
किन्तु यदि बलके मान नियत न होवे (अर्थात् परिवर्तनशील होवे) आउ विस्थापनो एक दिशामे न होके भिन्न-भिन्न दिशामे होवे त ई स्थितिमे कार्यके मात्रा निकालेला बल आउ विस्थापनके सदिश गुणनफलके समाकलन करे पड़हे । अर्थात्
जन्ने:
- W – कार्य
- L – विस्थापन-मार्गके सूचित करहे । उपरोक्त समाकलनके गणना विस्थापन-मार्गके सन्दर्भमे कैल जैतै ।
- – बल
- – विस्थापन (सदिश)
- α – कौनो स्थान पर बल आउ विस्थापनके बीचके कोण ।
इहो देखी
edit